जहिया हम अपन छोट बेटी मीठी(विधि नित्या) क रांची कSt.mary's nursery school म एडमिशन लेल ला गेलियन त ओतुका प्रिंसिपल हमरा स इ आग्रह केलैंन जे सेलेक्शन भेला क बाद हम अपन बच्चा स घर म सेहो इंग्लिश करि ।हम तत्काल हुनकर गप काटि क कहलियेन जे हमरा स इ बात सम्भव नहि अछि किया त हमर घर क बातचीत क माध्यम मैथिली अछि आ अखन त हमर बेटी क त हिंदी सेहो ठीक स नै अबैत छै ।हम हुनका कहलियन्हि जे अपन मातृभाषा क ज्ञान कोनो बच्चा क मायेटा दअ सकैए छै ।घर जा क हम दुनु प्राणी एक बेर फेर स बिचार केलौ जे कि नीक स्कूल म प्रवेश क नज़रिये स घर पर बच्चा स हिंदी बा अंग्रेजी म गप करि या अपन सैकड़ों बरख पुरान मैथिली सिखाबि ।अंत म कोनो भाषा क अतिरिक्त ज्ञान बेटी क हित म हेतइ से सोचि क अपन पुरान ढर्रा चालू रखलौ ।हमर स्पष्टवादिता कहि हमर बेटी क addimission म बाधक नै भअ जै अई बात स हम दुनु गोटा सशंकित छेलौ परंच हमर गप बुझ्याए ओइ प्रिंसिपल क नीक लगलैन आ बेटी क एडमिशन भेट गेलै ।आइ हमर दुनु बेटी हिंदी आ अंग्रेजी क संगे संगे मैथिली सेहो खूब नीक स बजेए आ कएक बेर ओहेन धिया पूता क देख क आनंदित होइत रहिये जे मात्र अपन माय क गलती स एकटा भाषा क ज्ञान स वंचित रहि गेल ।सब बेर जेका हमरा लिखैत काल म अपन बचपन याद आबि जाइये जखन हम तीनू भाइ बहीन लंबा छुट्टी क बाद गाम स रांची जाइ आ हिंदी बिसरि क कोनो हिंदीभाषी क देख क लजा जाए ।एहेन नै छै जे मैथिली हमर सब क बपौती अछि हमर सासुर आ नैहर क परिवार म अनेकों आन जाति क कनिया सब एली आ कोशिश कअ क मैथिली सीख लेलैथ आ हम सब शहरीकरण क चपेट म आबि क बच्चा क एकटा भाषा क ज्ञान स वंचित करै छियै ।कोनो अन्जान जगह पर अंचिह्हार लोक क भाषा केना एक सूत्र म बान्हि लई छै एकर उदाहरण विदेशों म कएक बेर भेट जाइ छै आ ओतय अनजान लोक मात्र भाषा दुआरे सहायता सेहो करै छै ।आइ हम सब दशमी छोरि क नवरात्र मनबई छी बच्चा सब माछ नै खाय चाहेये जखन कि दरभंगा महाराज अपन लोगो माछ क बनेने रहैत ।कएटा एहेन पाबइन आ विध अपना सब छोरने जाए छी लेकिन कहियो अहि विध क बारे म बरियाती म बिना नोन क तरकारी क चर्चा स्वर्गीय हरिवंशराय बच्चन अपन आत्मकथा म सेहो केने रहैथ ।
हमर पूरा लेख क नकारात्मक विचार क बाद हम चर्चा करअ चाहब अपन सासुर दुर्गागंज क जतय मैथिली क आइयो एकटा सम्मानित स्थान छै एतुका लेखिका क साहित्य अकादमी क सर्वोच्च पुरस्कार स पुरस्कृत कएल गेल छैन ।इ एहेन गामछी जतय मैथिल क संगे बंगाली , मुस्लिम आ आन जाति क लोक मैथिली बजेए ।
Monday, 24 September 2018
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment